Thursday, September 23, 2010

A story from Mithila in Maithili language


घुरि आउ कमला


भवनाथ झा
हटाढ रुपौली
झंझारपुर, मधुबनी

एक नगरमे एक राजा रहथि, हुनक यश दूर-दूर धरि पसरल छलनि। से सूनि कए आन-आन नगरसँ लोक सभ आबि ओतए बसए लागल। राजाक आमदनी बढ़ल गेलनि। ओ पहिनेसँ आर बेसी भोग-विलासमे लागि गेलाह। नवघरिया सभक द्वारा अपन-अपन नगरसँ आनल वस्तुजात सभक उपभोग बढैत गेलनि। पछिमाहा दारू आ दछिनाहा बुलकीवाली सभक चसक लागि गेलनि। आब ओ की तँ शिकार खेलाथि, नहि तँ अन्नरक कोठामे जमल-रमल रहथि। राज-काजक सभटा भार देवानजी पर छलनि। ओ बड़ बुधियार रहथि आ मुँहगर लोकसभ सुखी सम्पन्न छल तें नीक जकाँ दिन बितल जाइत रहनि।


मुदा, एक बेर राजमे रौदी भेल। इनार पोखरि सभ सुखा गेलै। पुक्खो रुक्खे चल गेलै; लोक अन्न पानि बेतरेक मरए लागल। राजाकें चाँकि भेलनि। एहि आफदमे लोकक रक्षा लेल पोखरि खुनबए लागलाह। राजाक बखारी खुजल। तिनसाला बासमती चाउर, जन कें बोनि भेटए लगलैक। अन्न तँ भेटलै मुदा पानि लेल लोक बेलल्ले रहल। दू चारि रजकूप टा टेक धएने छलैक। बाँकी सभमे चट्टा पड़ि गेल रहैक। माल-जाल सभ किछु दिन पोखरिक घोर मठार पानि पीलक मुदा बादमे ओहो सुखाए गेलै। चमरखल्ली गन्हाए लागल।

लोक सभकें आस लागल रहै जे पोखरि खुनाएत तँ पानिक सोह फुटतैक। मुदा से नहि भए रहल छलैक। सोह तँ दूर, गिलगर माँटियो नै अभरि रहल छलैक। राजा सभ दिन साँझके अपनहि जा कए देखथि आ निरास भए घूरि जाथि। लोक सभ बाजए लागल जे कमला माइक कोनो अनठ भेलनि तें रूसि रहलीह। 
राजाक आढ़ति भेल। सभठाम कमला माइक पूजा हुअए लागल। पाठी कबुला कएल गेल। आन-आन नगर सँ भाँति-भाँतिक धामि सभ बजाओल गेलाह। केओ धानक जुट्टी, तँ केओ डाला भरि पान आ डाला भरि मखान चढओलनि, मुदा कोनो फल नहि। एक गोटे कहलनि जे कमला माइक सुखाएल धारमे सोनाक माछ गाड़ल जाए।' ई सुनितहि रानी झट दए अपन खोपासँ माछ निकालि धामिक आगाँ राखि देलनि। एहि टोनापर सभक विश्वास रहैक। जन सभ रातिमे सपना देखए लागल जे कोदारिक छओ लगितहि पानिक तेहन बमकोला छुटलै जे सभ कोदारि छोड़ि-छाड़ि भागि रहल अछि, जेना धरती फाटि गेल होइक। लोकक भरोस बढ़ल गेलै। दिन बेरागन देखि कए नगरक पुबरिया धारमे एक हाथ गँहीर, एक हाथ नाम आ एक हाथ चाकर खाधि खूनल गेल। ओहिमे राजा अपनहि हाथें माछ गाडलनि। दोसर दिन जन सभ दुन्ना जोश सँ माँटि कोड़ए लागल, मुदा सभ व्यर्थ। पोखरि एक बाँस गँहीर भए गेल रहैक, तैयो माटि ठक-ठक करै। राजा बड़ चिन्तित भेलाह। रातुक निन्न बिलाए गेलनि। कने काल लेल आँखि लागियो जाइन तँ तेहन ने' सपना देखए लागथि जे चेहा कए उठि जाथि।

एही हालमे एक राति राजा सपनामे सुनलनि जे केओ स्त्री हिचुकि-हिचुकि कए कानि रहल अछि। राजा चेहा कए उठलाह। सपना सत्त बुझएलनि। भेलनि जे रानी कनैत छथि। मुदा नहि, रानी सूतलि रहथि। तखनि राजाकें छगुन्ता लगलनि। एक बेर इच्छा भेलनि जे रानीकें उठाए दियनि, मुदा फेर सोचलनि जे इहो तँ कइएक राति सँ जगरने कए रहल छथि, तें जँ निन्न भेल छनि तँ थोड़ेक काल सुतए दैत छियनि। राजा उठलाह। चारूकात अकानलनि। कानब बंद भए गेल रहैक। जखनि कोनो भाँज नहि लगलनि तँ फेर सूति रहलाह। थोड़ेक कालमे फेर कानब सुनलनि। एहिना, जहाँ ने राजाकें आँखि लागनि कि कानब सुनथि। उठि कए बैसथि की ओ आवाज बिला जाइ। राजा चिन्तित भेलाह। भिनसरे धामि सभकें बजाए कहलथिन। ओ लोकनि टोना-टापरमे लागि गेलाह। कते कँटैल, बङौर आ मरिचाइ आगिमे झोंकल गेल, तकर ठेकान नहि। मुदा सभ व्यर्थ।

एहिना कतोक दिन बीति गेल। एक राति राजाकें बुझएलनि जे हुनकर पलङरी लग एकटा स्त्री ठाढ़ि अछि। ओकर एक हाथमे धानक जुट्टी छैक आ दोसरमे भेटक फूल। लाल रङक पटोर पहिरने अछि आ गरदनिमे मखानक फोंकाक माला लटकल छैक। ओएह हिचुकि हिचुकि कानि रहल अछि।
राजा पुछलखिन- अहाँ के छी? किए कनै छी।” 
ओ बजलीह- बाउ! हम अहाँक गोसाउनि थिकहुँ। हमर सखी कमला तमसाए पताल लोक चल गेल छथि। हमरा एसकर मोन नै लगैए तें कोंढ फाटि जाइ-ए।
राजा दुनू हाथ जोड़ि हुनका प्रणाम कएल आ पुछल- हे माय, कमला माइ किए तमसाएल छथि?”
अहींक किरदानी सँ'- बजलीह गोसाउनि।
हमरासँ कोन अपराध भेलनि, हे माय!राजा अकचकाइन पुछलथिन।
एहि पर गोसाउनि तमसाए कहल- सभटा हमरहि मुँहे सुनब? जाउ धारक कछेरमे सिमरक गाछक तर निशाभाग रातिमे एक गोटे भेटत ओ एड़ी सँ टिकासन धरि बुझाए देत। ई कहि गोसाउनि जाए लगलीह। राजा हुनक पयर पकड़बा लेल धड़फड़एलाह कि निम्न टूटि गेलनि।
राजा उठि कए बैसि गेलाह। सपनाक सभटा गप्प मोनमे घुरिआए लगलनि। रातुक एगारह बाजल रहैक। ओही राति सपना परतएबा लेल तरुआरि कसि लेलनि। तौनीसँ अपन सौंसे देह झाँपि साधारण लोकक बाना बनाए लेलनि। अनका केकरो नहि संग कए एसकरे कमलाक कछेर दिस विदा भेलाह। हवेलीक पछबारी कात छहरदेबारी टूटल रहैक। ओही देने चोर जकाँ हाता सँ बाहर भए गेलाह।

बाहर सौसे भकोभन्न रहैक। ककरो चाल-भजार नहि पाबि निश्चिन्त भए धारक कछेर पहुँचलाह। ओतए एकटा सिमरक गाछ छल। लोक कहल करए जे जहिया कमला माइ एतए बहए लगलीह, ओही दिन सँ ई गाछ अछि। ओकर जड़ि ततेक मोट भए गेल रहय जे चारि गोटे जँ हथ्थाजोडी कए पँजियाबए, तखनि पओतैक। राजा सिमरक गाछ अंदाजि कए ओतए जएबाक बाट धएलनि। अन्हारमे देखलखिन नहि, ओतए अमती काँटक एकटा झाँङरमे ओझराए गेलाह। तौनी एक दिससँ छोड़ाबथि तँ दोसर काँटमे बझि जाइन। एही प्रयासमे लागल रहथि कि तावत कोनो पैघ चिड़ै पाँखि फड़फड़ओलक आ बुझएलनि जेना सिम्मरक गाछपर सँ केओ अथाह पानिमे छप्पसँ कूदल होअए। धार सुखाएल छलै से हिनका बुझले छलनि तें आदंकसँ सर्द भए गेलाह। एम्हर काँट छुटबे नै कएलनि। गिदरक झुंड सेहो फकसियारी काटए लागल। अंतमे राजा ओहि तौनीकें काँटेपर छोडि अपने मुक्त भए गेलाह। ओ सिमरक गाछ लगीचेमे रहैक तें घेंघिआइते जकाँ सोर कएलनि- सिमरक गाछ तर केओ छह हओ।राजाक ई कहितहि एकटा बाझ हिनका दिस झपटल, मुदा माथक ठीक उपर देने दोसर दिस चल गेल। राजा तिलमिलाए गोलाह। पयर थरथराए लगलनि। एतबामे सिमरक गाछ परसँ केओ ठहक्का मारलक आ गरजए लागल- आबि गेलह तों। आबहि पड़लौक ने।
राजाकें बुझएलनि जेना केओ डेन पकडि कए घीचि रहल अछि। गाछक जडि मे पहुँचलाह। ओतए एकटा खोपडि छल, जकर मुँहथरिपर एक घैल पानि राखल छलै। खोपडिक भीतर एकटा डिबिया जरि रहल छलै। राजा निहुरि कए देखलनि तँ ओतए केओ नहि रहय। ओ बुझलनि जे जकरा मादे गोसाउनि कहलनि से कतहु गेल अछि। थोडेक कालमे घूरि कए आबि जाएत तखनि ओकरा सँ गप्प करब। राजा ओही खोपडिमे जा कए बैसि गेलाह।

सिमरक गाछ परसँ फेर केओ हँसल। राजा ओहि दिस अकानलनि तँ नजरि गेलनि ओकर एकटा डारि पर, जतए मनुक्खक कंकाल उनटा लटकल छल। ओकर दुनू टा पयर एकटा डारिमे बान्हल रहैक। ओएह हँसि रहल छल।
-के थिकाह तों, किएक हँसि रहल छह?” -पुछलखिन राजा। राजा डेराए गेल रहथि, तैयो अपन कुलदेवीक मंत्र जपैत साहस कएने रहथि।
ओ परेत बाजल- दू टा बात एके बेर पुछैत छह मूरख! पहिने एकटाक उत्तर सुनह। तखनि दोसरक उत्तर कहबहु।
ओ परेत एक बेर बपहारि कटलक आ बाजल-
हे राजा, अहाँक पाँचम पुरखाक समयक गप्प थिक। हमर जन्म एकटा मलाहक घरमे भेल रहय। हमर बाबा बड़ कलामी रहथि। एक बेर जाल घुमाबथि तँ एक कट्ठा भरि छापि लेथि। एक डूबमे एक धूर मखान बहारि लेथि। आब अछि केओ एहन। केओ नहि; केओ नहि। हमर बापो तेहने। चौरी-चाँचरक कमी नै रहै। सभतरि पानिए पानि। उपरमे ओइरी धान आ तरमे खलबल करैत सिंगी, माँगुर आ कबै माछ। हमरा माछे भात खाइत मोंछक पमही भेल।
ओही गामक दोसर टोलमे एकटा छौड़ी रहै। नाँओ रहै- फुलिया। ओकरा अपन गाममे केओ नै रहै, तें अपन बहिन-बहिनोए लग आबि गेल रहए। ओकरहु चढंतिए छलै। लोक सभ झुट्ठे कहै जे फुलियाक देह इछाइन मँहकै छै। भेटक ढ़ेरही तोड़ैत काल जखनि ओ डाँड भरि पानिमे चुभकैत हमर लगीच आबए तँ बुझाए जे सौंसे चौरी भेट फुला गेलै-ए। हमहूँ ताकि हेरिकए दू चारि भेटक माला बनाए ओकरा पहिराबए लगियैक कि ओ लाल होइत गाल छिपबैत भागि जाए।'

राजा बिच्चहिमे टोकि देलनि- फुलियाक खिस्सा सुनाबए लगलह। ई ने कहह जे तों के थिकह?”
परेत हँसल- सत्ते मूरख छह। हओ फुलियाक बिना की हमरा चीन्हि सकबह। सुनह चुपचाप।
परेत फेर कहए लागल- गाममे फुलिया आ हमर बात सभ केओ बूझि गेल रहए। ओकर बहिन सेहो सुनलक। गप्प चललै। फुलिया सँ हमर बियाह भए गेल। ओही साल कमला माइ सेहो किरपा कएलखिन। एही गाम देने बहए लगलीह। खूब धानो उपजै। माछ मखान भेट, सिंघार, करहर, सारूख ई सभ तँ अलेल रहै। केओ पुछनिहार नहि। ओहीसँ लोकक गुजर चलै। जोलहा के एक पसेरी भेटक चाउर आ दू-चारि दिन माँछ दए अबियैक तँ एक जोड़ी सलगा बीनि दिअए। बोचा मियाँक सलगा नामी रहै परोपट्टामे। मजगुत तेहेन जे एक जोड़ीमे साल भरि निचेन। धारक ओइ पारमे अखनि जतए तोहर नरै कलमबाग छह, ओतहि सरपतक बोन रहै। ओकरे टाटी-फड़की बिनल जाइ। सभ अपन-अपन काज करए; दिन हँसी खुशी बितल जाइ।
राजा बड़ नीक लोक रहथि। नीक लोक की बूझू जे सुधंग रहथि। लोक सभ कहै जे राजा कें आँखि छन्हिए नै, काने टा छनि। सोझाँमे कतबो लए लिएक तँ हँसी-खुशी दए दैत रहथिन। मुदा परोच्छमे नहियो लिऐक आ केओ झुट्ठे कहि सुनाबनि तँ बुझू जे ओकरा पर अट्ठाबज्जर खसि पड़ै। राजा रहथि कने जीहक पातर। माँगुर माछ जरे अँगूरक दारू खूब नीक लगनि। हम सभ पारी लगा कए बिछलहा मांगुर हवेली दए अबियै। दारू टा बाहर सँ अबै। ओकर बदलामे राजा एतएसँ मखानक लाबा पठाबथि।

हमर बियाहक तीन बरखक बाद हमर बापो मरि गेलै। तेहेन ने सिंगी बिन्हलकै जे दू दिन जर-धाह भेलै आ तकर परात मरि गेलै। सिंगीक जहरक मादे बुझले हएतह। कहाँदन एक बेर अजोध गहुमन अपन बिक्ख खरहीक झाँखुड़मे नेराए चराउर करै लेल गेल। ओम्हरसँ सिंगी आबि सभटा खाए गेलै। गहुमन जे घुरल तँ जहर नै भेटलै, तँ ओ आन्हर भए गेल आ अन्हइ बनि गेल। सिंगीक जहर हमर बाप ले तँ सते गहुमनेक जहर भए गेले। ओकरे फिरिया करम लेल बोचा मियाँक ओतए कप्पा लेल समाद पठओलियै तँ घरमे बीनल नै रहै। तखनि ओएह कहलकै जे राजाक हवेली पर एकटा पइकार अएलैए। रंग-बिरंग के कपड़ा-लत्ता बेचै छै। कपड़ा सभ बड पातर छै आ चिक्कन तेहन जेना पुरैनिक पात होइ।' हमरा सभ लग नकदी रुपैया कतए सँ पाबी। से माइक गराक हँसुली कटबन्हकी लगाए ओतहिसँ धोती मङओलियै। ओही बरख पच्छिमसँ आरो बहुत रास पइकार अएलै। भाँति-भाँतिके जिनिस सभ लए कए। राजाकें अनदेसी चीजसँ लोभाकए पोटि लेअए आ एही नगरमे बसल जाए। पइकारी खूब चलै। लोक सभ सेहो अनदेसी जिनिसमे परकि गेल रहए। आब बोचा मियाँक कपड़ा केओ नै पुछै। सभ नकदी रुपैया हथियबै लेल अपसियाँत रहए लागल। राजाक संगे हुनकर देबान आ आरो हसबखाह सभ ओहने भए गेल। आस्ते आस्ते ओ पइकार सभ जमैत गेल। बादमे तँ अपनै नियम-कानून चलाबए लागल। तखनि राजाकें चाँकि भेलनि। ताबत तँ समय बीति गेल रहै। पइकार सभ गोलैसी कए नेने रहय। ओकर मेंटसँ राजाकें लडाइ भेलनि। मुदा राजा हारि कए जान बचबै लेल रानीकें संग लए कतौ भागि पड़एलाह। ओएह पछिमाहा गादी पर बैसल।
अपन घरमे हम तिनिए गोटे रही माए, हम आ फुलिया। हम मखानक तैयारी सुरू कएने रही। ओहिसँ नगदी रुपया आबए लागल रहए। ई राजा भेल तँ ओ मखानक दाम घटाए देलकै। अपन-अपन पहिलुका नगरक पइकारक हाथें पानिक मोल बेचि दै आ अपने जे जिनिस बेचए से आगिक मोल। सभक हाल खराप होइत गेलै।

ओहि राजाकें कथुक विचार नै छलै। हम सभ कमला माइक अरधना करी तँ चौल करए। कहै जे पहाड़ पर जे बरखा होइ छै आ बरफ गलै छै, सएह उपरसँ नीचाँ खँघरै छै, ओकरा नदी कहल जाइ छै। ओहीमेसँ एकटाके नाँओ छियै कमला। ओकर पूजा कए की है तै? ई पूजा-पाठ सभ काहिल आ अमरुखके चलाओल छियै। आर की की ने कुचरए कमला माइक मादे। ओकर देखादेखी अपनहु नगरक धनिकहा सभ हँ मे हँ मिलाबए- खरखाही लूटए। हम सभ की करितहुँ। राजा रहए। केओ किछु नाकर-नुकर बाजए तँ भकसी झोंकाए मरबाए दै।
एम्हर लोकक ई हालति भए गेलै जे पाँचो आङुर मुँहमे जाएपर अट्ठाबज्जर। साँझक साँझ उपास पड़ए लागल। राजाक दिस सँ चौरी-चाँचर बन्दोबस्त हुअए लगलै। जकरा डाक बाजि कए पइकार सभ खरीदए आ ओहिमे बोनिपर हम सब खटी। अपन धंधा सभ चौपट्ट भए गेल। हमर माए, जे सेरक सेर भेटक चाउर हँसैत बिलहि लै छल, तकरा मरबा बेरमे पाओ भरि खोंछिमे नै दए सकलियै।
एतबा कहि ओ परेत थोड़ेक काल चुप्प भए गेल, आ हिचुकि-हिचुकि कानए लगाल। राजा सेहो सकदम्म भेल सभटा खिस्सा सूनि रहल छलाह। ओ किछु बाजए चाहलनि, मुदा जीह जाँतल जेना भए गेल रहनि।
ओ परेत दम्म साधि फेर बाजल- मायक किरिया-करममे करज चढ़ि गेल। मास दिन पर जखनि मोहनमाला टुटल तखनि जान सँ उपर काज लगलहुँ। सक्क नै लागए। पेट बढि गेल रहए। लोक सभ कहए जे तिल्ली बढि गेल छह। पथ्थो पानि पर आफद तँ दवाइ-बीरो कतए सँ होइतै। हम खटोसल भए गेलहुँ। सभटा भार फुलिया पर पड़ि गेलै। तावत एकटा टेल्ह सेहो जनमि गेल रहै। ओकरा कन्हेठने ओ देवानक हवेली जाए आबए लगलै। काराक बासि सँठले हमरा लेल नेने आबए आ अपने की खाए से नै बुझियै। बादमे बुझलियै जे हवेलीक अँइठ खाए अपन पेट पोसै-ए। ई बात एक कान दू कान बयाबान भए गेलै। बिरादरीमे फुलियाक बदनामी हुअए लगलै। हमरा सभ कहए- हवेली क काज छोडा दहक।
 हम खेंघरा पर ओंघराइत सभटा लहूक घोट जकाँ पियैत रहलहुँ। बैसकीक दामस सेहो देल गेल। मुदा फुलिया के किछुओ टोकबाक साहस नै हुअए।

किछु दिन जखनि हवेलीक सुअन्न खोराकी भेटल, तखनि कने सक्क भेल। एक दिन हमहूँ फुलियाक जरे हवेली पर गेलौं कोनो काज मङै लेल। पानिमे पैसएवला काज करबाक साहस नै हुअए।
हवेली पर पहुँचले रही कि एकटा अजगुत खेल देखलहुँ। उतरबरिया कोठाक असोरापर कुमर आ कुमरी खाइत रहथि। चेड़ी सभ भाँति-भाँतिक पकमान सभ चङेरिए चङेरी रखने रहैक। ओहीठाम नीचाँमे थहाथहि करैत टोल परहक धीयापुता रहैक। कुमर आ कुमरी थारमे एक-एक टा पकमान लिअए। जे नीक लगै से अपने खाए, नहि तँ धियापुताक हेंज दिस फेकि दै। दू चारि टा कुकूर सेहो ताक लगओने रहै। फेकल पकमान के लुझै लेल जखनि छौडासभ पछड़म-पछड़ा करए तँ ओहि दुनूक संग चेड़िया सभ सेहो हँसए। इएह खेल रहै। एही हेंजमे हम अपन फेकनाके सेहो देखलियै। हमरा घिरना भए गेल।
हम अपन फेकनाकें डेन धएने घूरि गेलहुँ। फुलियाके सेहो हवेली छोड़ाए देलियैक। एहिपर फुलिया कने नाकर-नुकर कएलक। कहबो कएलक जे हवेली महलमे काज करै छियै। सालमे टू टा फाटलो-पुरान तँ भेटि जाइए। चिक्कन केहन रहै छै, जेना भेटक फूल होइ। फुलियोके बोचा मियाँक सलगासँ हवेलीक फाटल-पुरान बेसी रुचए लागल रहैक। मुदा हम कने दमसओलियै तँ मानि गेल।
हवेली तँ छोड़ाए देलियै, मुदा ओही राति ठकउपासक हालति भए गेल। फुलिया खूब हनहन-पटपट कएलक आ फेर भोकाड़ि पाड़ि कए कानए लागलि। हमहूँ कनैत-कनैत सूति रहलहुँ। रातिमे सपन देखलहुँ जे माएक कोरामे सूतल छी। माएक माथपर दुनू कात छही माँछ चमकि रहल छैक। भेटक फूलक माला गरामे महमहा रहल छैक। हम कानि रहल छी, माय चुचकारि रहल अछि। हमरा परतारैत माय कहै छथि जे तों उत्तर नेपाल दिस सुकठीक बनीज करह। खूब उछराए हेतहु।

माएक आढ़ति कतहु बेकार गेलै-ए। से सत्ते, कमला माइ हमरा जे बाट धरओलनि से बड़ नीक लागल। आर चारि-पाँच गोटेके सङोर कएलहुँ। धारमे पानि घटए लागल रहैक। इचना आ पोठीक अबार चलैत रहैक। छानि छानि कए सुखाबए लगलहुँ। सुकठीक बनीज खूब जमल। नेपाल पहुँचिते गामे-गाम छिड़िया जाइ। दुइए दिनमे एक बोड़ा छुहक्का उडि जाए। फेर सभ सङोर कए गाम घुरि आबी।
दुइए सालमे हमहूँ थितगर भए गेलहु। बेस जकाँ रुपैया जर भए गेल। तखनि सभ मीलि कए एकटा पोखरि तेसाला बन्दोबस्त लेलहुँ। भदवारिमे मखान तैयारी करी। मखान तँ अपनहि राजमे बिका जाए।
तेसर साल सुकठी लए कए जखनि नेपाल पहुँचलहुँ तँ एक राति एकटा जंगलमे राति भए गेल। हाथ-हाथ नै सुझै। सभक मोन भेल जे एतहि राति बिताबी। लगमे एकटा घराड़ी सेहो देखलियै। पानियोक सुपास रहै। ओतहि भानसक इन्तजाम-बात भेलै। फुलिया ओहि घराड़ीसँ आगि माँगि आनलक तँ तेहन गप्प कहलक जे छगुन्ता लागि गेल। ओ कहलक जे अपन नगरक पुरना राजाजी एतहि रहै छथि। ओ हिनका सभक बोली-बानीसँ बुझि गेल रहनि। बादमे गरसँ रानीजी कें देखलकनि तँ चट चीन्हि गेलनि। हमहूँ सभ जाइ गेलहुँ सत्ते ओएह रहथि। सभटा ओहिना अखियास छलनि। हमरा सभकें चीन्हि गेलाह। आँखि छुटलनि की घैल भए अएलनि। भरि पाँज कए पकड़ि लेलनि। रातिमे किन्नहु फूट मानस नै करए देलनि।
जखनि गाम घुरि अएलहु तँ राजाजीक गप्प टोल भरिमे कहलियैक। सभ हँसेरीक तैयारीमे लागि गेल। सहथ तँ सभक घरमे रहबे करए बाँकी एक सय फड़सा आ एक सय भाला बनवाए घरे-घर छिपाए देलियैक। राजाजीसँ गप्प कएलाक बाद ठीके दुर्गा महरानी सभक मोन पर सवार भए गेल रहथि। पछिमाहा राजाकें कानो-कान नै भनक लागए देलियै।
तावत भदवारि सेहो बीति गेल रहै। मखानक गूड़ी फोड़ैके जोगारमे लागि गेलहु। राजाक एकटा पोखरिमे तेकड़ी पर मखान उपजओने रही। एक दिन सिपाही आबि कए कहि गेल जे राजाजी अपनै दलान पर सोझाँमे फोड़ओथिन। हम सभटा गूड़ी लए हवेली पर पहुँचलहु। ओतहि सभटा व्योंत धराए फोड़ए लगलहुँ। हमर नियम रहए जे मखान के ढेरी सँ पाँचटा पहिलुक फोंका कमला माइकें भोग लगा दियनि, तकर बाद बाँट-बखरा होइ। थोडेक गूड़ी फोडै लेल बाँकिए छल कि तावत रंगमे भंग भए गेलै।

बड़की रजकुमरी जकर वयस पनरह-सोलह छल हेतै, ऐंठैत-जुठैत आएलि आ देखिते-देखिते मखानक ढेरियेमे हाथ लगाए खाए लागलि। फुलिया एक-दू बेर दबले मुहें रोकबो कएलकै, मुदा ओ माननिहारि नै। तखनि हमहूँ कने जोर सँ कहलियै जे पहिलुक फोंका कमला माइकें चढतनि। अहाँ हाथ लगा देलियै तँ सौसे ढेरी अँइठ भए गेलै। अँइठक नाम सुनिते ओ भभा कए हँसए लागलि आ कहलक जे हम कि गाए-मँहीस जकाँ ढेरीमे मुँह लगाकए खेलियैए? तखनि अँइठ केना भेलै?
निखनात नै ने रहलै”- कहलकै फुलिया।
ई गप्प-सप होइए रहै कि ओ चंडलबा राजा हनहनाइत आएल।
- की बकझक करै छें? गोढिबे, बड़ अँइठ-कुँइठ बुझए लगलहिन-ए। भाँड़मे जाथु तोहर कमला माइ। सरबे पंडिताइ झारै छें। चुपचाप काज कर।'- राजा बमकए लागल।
हमरहु एँड़ीसँ टिकासन धरि लेसि देलक। सभसँ बेसी खराब लागल कमला माइ के गरिआएब। भदेससँ आबि कए केओ हमरा सभक अदौके बातकें नकारि देत, ओकरा पर हँसत तँ से केना बरदास्त हैत। एक तँ ई राजा पच्छिम दिससँ जिनिस सभ आनि आनि कए एतुका लोककें कोंढि बना देलक। जखनि मिलहा कपड़ा अनलक तकर बाद बोचा मियाँक दुर्गति हमरा देखल छले। ओइ सभ चालिसँ दूहि लेलक ई अइ लोककें। तइ पर सँ आब हमरा सभक कमला माइकें सेहो गरिआओत। हम सभ जँ कमला माइक अरधना करिते छी, तँ एकर कोन दालि गलै छै। ई सभटा बात हमरा माथमे घुमए लागल। हमहूँ तानि कए कहलियै-  “मुँह सम्हारि कए बाजह। कमला माइक मादे किछु अंट-संट बजलह, तँ जे ने से भए जेतह।

हमर ई गप्प सुनिते ओ चंडलबा राजा जेना बताह भए गेल। हाक देलकै तँ चारि पाँच टा सिपाही दौड़ल। ओहिमे सभ अपने जाति-भाय रहए। मुदा राजाक एँड़ी चटनिहार सभ। ओ सभ डंटा लए कए हमरा चारूदिस सँ लठियाबए लागल। से देखि क हमरा आर लहरि चढ़ि गेल। की कमला माइ ओकरा सभक माय नहि छलखिन?
राजाक आढति पर हमरा दुनू गोटेकें रस्सामे बान्हि घिसियौने एही सिमर गाछ तर अनलक। हमरा गाछक एही डारिमे उलटा लटकाए देलक आ हमरा सोझाँमे ओ पाँचो-छबो टा सिपाही फुलियाके नोंचि पटकि मारि देलकै।
एतबा कहि ओ परेत बपहारि काटए लागल। ओकरा कस्साक मारि मोन पड़ि आएल रहै।
ताबत पह फाटि रहल छलै। राजा उठि कए घैलसँ पानि लए कुरुर कएलनि आ खोपडिमे बैसि रहलाह।
परेत फेर बाजल- हे राजा, आब राति बीति रहलै-ए। आब हमरा चल जएबाक बेर भए गेल। अहाँक दोसर सबालक जबाब हम काल्हि देब
राजाकें भोरहरबाक बसातक सिहकी अलसाए देने छलनि। कने काल लेल आँखि मुनाए गेलनि। सुरुजक इजोत पड़िते आँखि खुजलनि तँ ने परेत छल, ने खोपड़ि, ने घैल। सभ किछु अलोपित भए गेल रहए। ओ सिमरक गाछक जड़िमे अपनाकें दूबि पर बैसल पओलनि। कातमे सुखाएल धार साँपक केचुआ जका बूझि पडि रहल छल।

दोसर दिन राजाक मजलिस लागल। दरबारी सभ जुटल रहथि। चर्चा आरम्भ भेल। सभक मोनमे एकेटा चिन्ता; सभक ठोर पर एके गप्प, कमला माइक कोन अनठ भेलनि, जे एना निसोख भए गेलीह। पोखरिमे सोह किएक नहि फुटैत अछि'। पानि बेतरेक नगरक हालति खराप भए गेल रहैक। एक टूटा जे रजकूप टेक घएने रहए, ओहू सभमे पानि दुइ तीन हाथ खसि पड़ल रहैक। एम्हर बरखाक कोनो टा आस नहि। जखनि हथियो गरजि कए चल गेल, मेघ नहि बरसल, तखनि स्वातीसँ की आस!
राजा घाड़ झुकओने सभटा सुनैत चुपचाप बैसल छलाह। एही बीच दरबान इतलाए बाजल- फाटक पर चारि गोटे ठाढ छथि। सरकार सँ भेटँ करए चाहैत छथि।
राजा कहल- हाजिर करह।
थोड़ेक कालमे ओ चारू गोटे आबि राजाकें सलामी दए कातमे ठाढ भए गेलाह। एक गोटे डाँड़सँ एकटा चीठी निकालि राजाकें देलनि। राजा चीठी पढ़ि जखनि राखि देलनि तखनि ओ बजलाह-
सरकार, अपनेक नगरमे हम सभ अपनेक आदेशसँ हवा-मिठाइक बनीज करैत छी आ ओकर लगान ठीक समय पर खजानामे जमा करैत छी। एहि नगरक धियापुता ई हवामिठाइ किनैत अछि। ई हवामिठाइ बनाए कोन धरानिए अपन नगरसँ अनैत छी, से सरकारकें की कहब। हमरा नगरक रानीजी सरकारक बहिन थिकीह। एही बेर भरदुतियामे जएबामे सरकारकें कोन कष्ट भेल रहएसे जनैत होएबैक। चारि टा धारतँ नाहसँ टपए पडै़ छै। एते तरद्दुत उठाए हम सभ एतए बनीज करैत छी जे दुइ एक सेर धान जर करी आ एहि नगरक धियापुता लिलोह नै हुअए। मुदा........।
मुदा की?” -राजा पुछलनि।
-हम सभ सरकारक जुत्ता तर छी। किछु ऊँच-नीच बजना जाए तँ जान बकसि दी।दाँत निपोड़ैत ओ पइकार बजलाह।
-”निडर भए कहू।राजा गंभीर होइत बजलाह।
-सरकारक खास आदमी हमरा सभक बनीज के भुस्साथरि बैसाबए चाहैत अछि। हमरा सभक पेट पर लात मारए चाहैत अछि। तैयो.........।
-तैयो की? खुलासा बाजू। राजा तनि कए बैसलाह।
-तैयो जँ केवल हमरा सभक बनीजके भुस्साथरि बैसाए हुनकर हिया जुड़ा जानि तँ हमसभ बिना किछु गलगुल कएने दोसर नगरक बाट धए लेब। मुदा एहिमे ओकर छओ कतहु, घाओ कतहु छैक। ओ चाहैत अछि जे एही बहाना सँ सरकारक ठोरक लाली छीनि ली। हमर नगर सँ सरकारक हबेलीमे जे किछु वस्तुजात अबैत अछि, ओहिसभ लेल सरकारकें लिलोह कए दी। बाहरी दिन दुनियाँसँ सरकारक लागि तोडि दी। ताहूसँ बढि कए एकटा भाइ-बहिनक सिनेहक डोरीके झटकि तोडि दी
राजा चौंकलाह। थोड़बे काल पहिने अपन बहिनक चीठीमे पढ़ने रहथि जे सरकार बड़ बिगड़ल छथि। तखनि तँ अर्थ नहि लगलनि, मुदा आब बुझि गेलाह। राजाकें चुप देखि ओ पइकार फेर बजलाह-
हमर नगरक राजाजी बड़ बिगड़ल छथिन। रानीजीसँ चिठी लिखाए हमरा सरकारक सोझाँ हाजिर भए नौ-छौ करबाक आढ़ति देलनि अछि। आगाँ सरकारक आढ़ति माथ पर
-के अछि ओ हरामी, जे एहन काज कए रहल अछि
राजा बमकलाह। लोहा तपि चुकल छल। हथौड़ाक चोट दए तरुआरि बनएबाक ताक भए गेल रहै।
-सरकारक खास आदमी अछि। केसो साहु। हवेलीक खास हलुआइ
-केसो साहु? ओ तँ बड नीक लोक अछि।” राजा कें आश्चर्य भेलनि।
-सरकारक आबेस पाबि ओ अपना कें नल महराज आ धन्वन्तरि वैदराजहु सँ पैघ बुझए लागल आछि।
-ओ की कएलक, से खोलासा बाजह।राजा कने उत्तेजित भए गेलाह।
तुरत केसो साहु बजाओल गेलाह। तखनि ओ पइकार बजलाह- हमर सभक हवामिठाइक ई देखसी कबेचैत छथि। हमसभ एक पसेरी धानमे जतेक बेचैत छी, ओतेक ई एके अढ़ैयामे बेचि दैत छथि। हमसभ मुहें तकैत रहि जाइत छी।
केसो साहुसँ पूछल गेल तँ ओ बाजल- ई ठीके कहैत छथि। एक दिन हमर नाति एक झोड़ी हवामिठाइ किनलक तँ दुइ-चारि टा हमहूँ चिखलहुँ। सुआदलहुँ तँ बुझि गेलियै जे ई मखानक लाबाके बनल छै। ओकरा चीनीक सिरकामे पागि कए रंग मिलाए झोडीमे सीबि कए बेचैत छथि। तखनि हमरा ओ बड़ महग बुझाएल। एक दिन अपन नाति लेल अपनहि सँ बनओलहुँ। तकर बाद आढ़ति पर सँ आढ़ति आबए लागल। हमहूँ घानी पर सँ घानी बनबैत गेलहु। इएह बात छियै सरकार
केसो साहु चुप भए गेलाह। ओ पइकार एक गोटे दिस संकेत करैत उतराचौरी आगाँ बढाओलनि- सरकार, ई छथि हमरा नगर ओ हलुआइ, जे पहिले-पहिल ई हवामिठाइ बनओलनि। आ संगहि दोसर छथि हमरा सभक वैद्यजी; जे ओहि मिठाइमे एहन दवाइ फेंटैत छथि, जकरा खएलासँ तागति बढैत छैक। बहुत तरहक बिमारी सँ बचाओ होइत छैक। हमरा सभक हवामिठाइक बिक्री घटलासँ एहि नगरक धियापुता ओहि दवाइसँ वंचित रहि जाइत अछि आ हिनक बनाओल लाबा खाए ठकल जाइत अछि। तें एहन ठककें सजाए देल जाए। आगाँ सरकारक आढति माथपर
केसो साहु राजाक खास हलुआइ रहथि। हुनकहु अपन लूरि पर गुमान रहनि। तें ओहो हारि मानि चुप बैसनिहार नहि।
-सरकार, हमरे नगरमे उपजल मखानकें माटिक मोल कीनि कए ओकरा ई लोकनि आगिक मोल बेचैत छथि। जतेक हवामिठाइ ई एक पसेरी धानमे बेचैत छथि, ओतेक मखान तँ एतए लोक मङनीमे बिलहि दैत अछि। चीनी बड़ थोड़ लगै छै। ओकरा सोन्हगर बनबै लेल हम कचूर दैत छियैक, जे सभ ठाम बाडी-झाडीमे अलेल उपजै-ए। एहन मिठाइक बदलामे मेहनतिसँ उपजाओल एक पसेरी धान आन नगर चल जाइत अछि, से हमरा नहि सोहाएल, तें हमहूँ बनबए लगलहुँ। टटका-टटकी बनबै छी। टटकाके परतर हिनकर हवामिठाइ कतए सँ करतनि। नै जानि कते दिनुका बनलाहा रहैत छनि।
एतबहिमे हवेलीक घंटा बाजल। सभक भोजनक बेर भए गेल रहनि। तें राजा कने अगुताइत पइकारसँ पुछल- अहाँकें आर जे किछु कहबाक हो से कहि दिय। हम विचार करब आ जा धरि कोनो नौ-छौ नहि भए जाइत अछि ता धरि हवामिठाइक बनीज नहि हुअए। केसो साहु सेहो ओ मधुर नहि बनाबथि'
ओ पइकार बजलाह- हमर हवामिठाइमे सहरगंजा रंग नहि मिलाओल जाइत अछि। ओ रंग हम बनारससँ मङबैत छी। नेपालक जंगल छानि कए आनल जडी-बूटी सँ ओकरा सोन्हगर बनबै छी। जाहि झोडीमे बन्न कए ओ बेचल जाइत अछि से कलकत्तासँ अबैत अछि। ओहिमे बन्न कएलाक बाद बासि-तेबासिमे कोनो अन्तर नहि पड़ैत छैक। मासो दिनका बाद ओहने रहैत अछि। एहि सभमे खर्च पड़ैत छैक, तरद्दुत होइत छैक। तखनि एक सेर धानमे एक झोड़ी बिकाइत अछि। सरकारकें बेसी कहबाक काज नहि। बुधियारकें कनखिए काफी। तखनि तँ सरकारक आढति माथ पर।” 
ओ पइकार चुप भए गेलाह। राजाक मजलिस टुटल। राजा चुप्पे अन्नर दिस बढ़ि गेलाह, जतए चेड़ी हाथ-पयर धोबा ले सोबरना नेने ठाढि छलि।

दिन बीतल; साँझ पड़ल; सूर्य अस्त भेलाह; राति भेल। राजाक छातीक धुकधुकी बढ़ैत गेलनि। पछिला रातुक एक-एकटा गप्प मोन पडैत छलनि तँ रोइयाँ ठाढ़ भए जाइत रहनि। सिमर गाछपर उनटा लटकल ओ परेत आ ओकर हँसब-बाजब आ कानब, सभटा आँखिक सोझाँ नाचि उठनि। बुझाइन जे ओ कोनो दोसर लोकमे आबि गेल होथि। एसकर होइतहि राजा एहि लोकक सभटा बात बिसरि जाथि।
अनमनाएले जकाँ राजा रातुक भोजन कए जखनि अपन कोठरी अएलाह। तखनि दस बाजि रहल छल। सिमर गाछ तर जएबाक बेर लगिचाए गेल रहनि तें छातीक धुकधुकी आर बढ़ि गेलनि। एक मोन भेलनि जे आइ नहि जाइ, मुदा फेर दोसर मोन तुरत चेतौनी देलकनि जे नहि गेला सँ जँ कहूँ ओ परेत खिसिआए गेल तँ किछु कए सकैए। सँगहि इहो मोन मानि गेल रहनि जे गोसाउनि जकरा मादे कहने रहथिन से ओएह परेत थिक। तखनि जँ परेतक सभटा गप्प नै सूनि लेताह तँ कमला माइक रुसबाक कारण आ बौंसबाक उपाय केना बुझताह। तें जाएब तँ आवश्यक छलनि।
समय बितल जा रहल छल। राजा पलंग पर पड़ल टकटकी लगओने घड़ी दिस देखि रहल छलाह। राजाकें घड़ीक प्रतीक्षा जतेक नै छलनि, ओतेक छलनि रानीजीक सुति रहबाक प्रतीक्षा। तें अपन छाती पर राखल हुनक बामा हाथक कँगनाके कखनहु खनखनाए बुझबाक प्रयास कए लेथि जे ओ सूति रहलीह कि जगले छथि।
जखनि बेस काल धरि राजा सूइल सँ पाइत धरि आ पाइत सँ सबरब धरि सोहरओलनि आ रानी नहि सगबगएलीह, तखनि गँओसँ हुनक हाथ अपन छाती परसँ हँटाए कात कएलनि। रानीजीकें नीक जकाँ देखलनि तँ बुझएलनि जे ओ निभेर भए सूतलि छथि। राजा निश्चिन्त भए पलंगसँ उठलाह।
कामदार कपड़ा सभ खोलि सहरगंजा मिरजइ आ धोती पहिरलनि। खुरिया खोंसलनि आ कोठलीक केबाड खोलए बढलाह कि रानीजी भभाकए हँसैत पलंग पर बैसि गेलीह। राजा थकमकाए गेलाह।
रानीजी झटकि कए हिनका आगाँ आबि ठाढ़ भए गेलीह। हुनक खूजल केस भुइयाँ लोटाए लागल, काड़ा खनकि उठल, डँडकस मचकि गेलनि, केचुआ मसकि गेलनि, घोघट ससरि गेलनि, पसाहिन चमकि उठल, लट गमकि उठल, दुनू ठोर थरथरएलनि आ आँखिक दुनू कोरसँ दू बुन्न नोर गाल पर पिछड़ि गेल।
रानीजी बजलीह- राजाजी! राजाजी! एते रातिमे के मोन पड़लीह, कजराबाली कि गजराबाली! मुजराबाली कि बजडाबाली! राजाजी! कतए विदा भेंलहु चुप्पेचाप। राजाजी! रूपाक दियामे हम पाटक टेमी जरौलौं, सोनाक कजरौटीमे हम कजरा जे पाडलों, से कजरा नोरसँ धोखरल जाइए यौ राजाजी! कोस भरिक फुलवारीसँ सोनजड़ी अँचरामे फूल हम बिछलियै, भौंरा कि मधुमाछियोक सूँघल फूल नै छुबलियै, खुरचनक टकुरीसँ बाड़ीक बाँङके हम सूतो कटलियै, ओहि सूतक तानीमे हम गजरा गँथलियै। अहाँक हाथक छुतियो ने भेलै; सिरमामे डाला पर, पुरैनिक पतौड़ामे, रखले मौलाए गेलै, यौ राजाजी! ओहो कजरा, ओहो गजरा रूचल नै अहाँ के, यौ राजाजी! तखनि आब हम नयनाक नोरसँ, हियाक दिया जरएबै, सुन्न अकासक कजरौटीमे पाड़ल कजरा हम लगेबै, इन्द्रक फुलवारीसँ लोढ़ल फूलक गजरा हम गँथबै, अछियाक बजड़ापर चढ़ि संसारक समुद्र नाँघि, ओहि पार हम जेबै, इन्द्रक फुलवारीक एक कोनमे अहाँक नामक हम आसन लगेबै, आसनक आगाँमे मुजरा लगेबै। ओतए तँ अहाँ अएबै ने यौ राजाजी!
रानीक आँखिसँ दहो-बहो नोर झहरए लागल। राजाकें अकबक किछु नहि सुझाइन। असल बात कहि रानीजीकें डेरबए नै चाहैत रहथि। तखनि किछु कहि परतारि कए चलि दितथि, से कठिन छलनि। ओ दूधक धोएल तँ छलाह नहि जे हुनक बातपर रानीजीकें विश्वास भए जैतनि। एहिना कतेक राति ठकि-फुसियाकए गजराबाली आ कजराबालीक दुआरि नाँघि चुकल छलाह। तें ओ अस्त्र सभ आब रानीजी लेल व्यर्थ भए गेल छल।
तखनि राजा बजलाह- हे धनि! जुनि कानू। गोसाउनिक सीरपर बरैत दीप अहाँ छी। नगरक चौबटियापर जरैत अंडी तेलक उकारीसँ सौतिनिया डाह किए करै छी? आश्विनीसँ रेवती धरि तारका सभक भोग कएनिहार चन्द्रमा की अपन चन्द्रिकाकें छोड़ि दैत छथि!! हे धनि, अग्निक ज्वाला, जलक शीतलता, आकाशक शून्यता जकाँ अहाँ हमर छी, जकरा बिना कजराबाली कि गजराबालीक कोनो मोल नै। मुदा एखनि तँ ओकर चर्चे व्यर्थ! हम तँ आइ दोसर काजसँ जा रहल छी। एकटा आवश्यक राजकाज भए गेल अछि।
- “एतेक रातिमे?” रानीजीकें जेना विश्वास नै भए रहल छलनि।
- “हँ धनि, आफदक बेरमे की राति आ की दिन?”
- तखनि कपड़ा छाड़बाक कोन काज?” रानी जिरह करए लगलखिन।
राजाक चोरि पकड़ा गेल। एकर कोनो जबाब हुनका लग नहि बँचल। अन्तमे राजा थाकि हारि सभटा खेरहा सुनाए देल।
रानी बजलीह-  “हमरहु सँ छल कएलहुँ, राजाजी! हमरा तँ कहितहुँ। मुदा आब पछिला चूकक गप्पे कोन? आइ हमहूँ जाएब अहाँक संग।
अहाँ?” -राजा कुदि उठलाह।
- “हँ राजाजी! भूत-परेतक मुँहमे एसकर केना जाए देब। अहाँक रक्षा लेल हमहुँ जायब।
- “हमर रक्षा अहाँ करब?” राजाकें रानीक ई गप्प ओहिना अनसोहाँत लागि रहल छलनि जेना ओ पुरैनिक पातक ढाल लए लड़ाइमे जएबाक गप्प कहि रहल होथि!
- “हँ राजाजी! बियाहक साल सुखराती निशाभाग रातिमे नानीसँ जे सिखलहुँ से आइ नै तँ कहिया काज देत?”
राजाकें सभटा रहस्यमय बुझा पड़ि रहल छलनि। रानीक एतेक आत्मविश्वास! सुुखरातीक निशाभाग रातिमे किछु सिखबबाक बात सुनि राजाकें ठकमूडी लागि गेल।
- “एना की तकै छी? हमर नानी की सभ जनै छलीह आ हमरा कते सिखओलनि से आइए परताए लिय। अपन टोना-टापरसँ हम एहन घेराबा बनाए लेब, जकर भीतर परेतक बापो किछु नहि कए सकत।रानीक मुट्ठी तनि गेल।
- “मुदा दूनू गोटे जाएब केना? पहरूदार बुझि जाएत, तँ सौसे घोल भए जाएत, तखनि एक-एकके सभ संग लागि जाएत।
- “केओ नहि बुझत। थम्हू कने। हम सभटा जोगाड़ धराए लैत छी।
रानीजी केबाड़ खोलि फुलबाड़ी पैसलीह; ओतए एकटा पैघ सन मएनाक पात तोडलनि। भनसाघर गेलीह; पिठार पिसलनि आ आबि गेली झट दए राजाक लग; मएनाक पातपर अरिपन देलनि। अपनहु ओहिपर ठाढ़ भए गेलीह आ राजाजीकें सेहो सटि कए ठाढ़ होएबा लेल बजओलनि। गेंठ जोड़लनि; किछु मन्त्र पढलनि आ ओ मएनाक पात धरतीसँ उठल आ खुजल केबाड़ देने आङन आएल आ अकासमे उड़ए लागल।
रानी पुछलनि- डर तँ ने होइ-ए?”
नहि, आब सभ डर बिलाए गेल।राजाजी हुनका भरि पाँज पकड़ि सभ किछु समर्पण कए देलनि।
ओ मएनाक पात दुनूकें थम्हने अकासमे उड़ल जा रहल छल। रानीजी बेर-बेर पुछथिन्ह- ओ सिमरक गाछ केम्हर छैक?”
राजाकें दिसाँस लागि गेल रहनि। एक तँ रातिक समय, निचला घर-आङन, गाछ-बिरिछ किछु सुझि नहि रहल छलनि। ताहिपर सँ आकाशमार्ग देने यात्रा। से जएबाक छलनि पूब दिस, देखाए देलखिन पच्छिम दिसक बाट। रानीजी ओम्हरे इसारा कएलनि; ओ मएनाक पात ओम्हर उड़ए लागल। जखनि किछु दूर गेलाह तँ एकटा खूब चतरल गाछक अछाह बुझएलनि। ओकरहि सिमरक गाछ बूझि दुनू गोटे ओतहि धरती पर अएलाह। मुदा ओ सिमर नहि पाकड़िक अजोध गाछ छल।
राजा चिंतित भए गेलाह। अन्हार राति चारुकात भकोभन्न। कतए आबि गेल छी, सेहो ज्ञान नहि रहलनि। बिना प्रकाशक संचारसे कोनो उपाय करबामे अपनाकेँ असमर्थ बुझलनि। आकाश स्वच्छ छल, तेँ राजाकेँ अष्टमीक चन्द्रोदयक आस जगलनि। चन्द्रोदयमे किछु बिलम्ब रहैक तेँ ओकरे प्रतीक्षा करैत दूनू गोटे असोथकित भए बैसि गेलाह।
ओही पाकड़िक एकटा धोधड़िमे सोनचिडै दूनू परानी रहैल छल। राजा आ रानी जखनि ओतए बैसलाह तँ चिड़ै चिड़िनसँ बाजल-  हे धनि, आइ देखू जे केहेन हमरा सभक भाग जोड़गर अछि जे एक दिस हमरा सभक सन्तान हुअए बला अछि आ दोसर दिस एहन अभ्यागत आबि गेल छथि। हमरा सभके चाही जे हुनकर स्वागत सत्कार करी
राजा नीचामे बैसल दुनू परानीक गप्प सुनए लगलाह। चिड़िन बाजलि- हँ ठीके कहलहुँ। एक तँ बच्चा हुअए की बूढ़, जबान हुअए कि बेसाहु, घर पर पहुचल अभ्यागत देवताक रूप होइत छथि, ताहूमे ई तँ एहि नगरक राजा आ रानी छथि, सेहो बाट भोतिया कए एतए आबि गेल छथि, तेँ जते धरि भए सकए से हुनकर सत्कार करियौन। दुःखक बात ई जे हमरा आइ बिछाओनहु परसँ उठबाक सक्क नै लगै-ए। तें हुनका दुनूसँ आशीर्वादो लै लेल हम नै निकलि सकब।
- “आर तँ जे से...। सभसँ तँ चिन्ता अछि जे की लए कए सत्कार करबनि? आइ जे हम जर कए अनने छी से एक तरहें अँइठे अछि। ऐंठ लए अभ्यागतक सत्कार करब तँ पाप होएत।चिड़ै बाजल।
- “झोड़ी तँ ओहिना मुनले छैक, तखनि अँइठ केना भेलै? लोलसँ पकडि कए जे अनने छी तेँ अँइठ कहै छियै की?” चिड़िन पुछलकै।
- “नै से बात नै छै। ई मनुक्खक अँइठ थिक।
- “कत' सँ अनलहुँ?”
हे धनि, आइ हम अहलभोरे अहाँ लेल कोनो बढ़ियाँ सनेसक खोजमे निकलहुँ, तँ इच्छा भेल जे इन्द्रासनक फुलबाड़ी जाए ओतहि सँ कोनो सोन्हगर फल नेने आबी। उड़ैत-उड़ैत ओतए गेलौं तँ ओकर रखबार हमरा एसकरे देखि भीतर पैसबासँ रोकि देलक। ओ कहलक जे एहि फुलबाड़ीमे विना अपन प्रियाके केओ नै जाए सकैए। की देवता, की गन्धर्व आ की पशु-पक्षी, एसकर मुँह बिधुअबैले' एतए टपि नै सकै-ए। अपन जोड़ा नेने आबह तँ जाए देबौक।
तखनि हम अपन सन मुँह नेने धरती पर घुरि अएलहुँ आ एतहि एहि नगर सँ ओहि नगर बौआए लगलहुँ। जाइत-जाइत एक नगर पहुँचलहुँ। ओ नगर एतए सँ पच्छिम अछि। ओतए राजाक अटारीक पछुआड़मे ई हवामिठाइक झोड़ी सभ मारते रास फेकल देखलियै। पहिने तँ हमरा सक भेल जे कहूँ कोनो जाल-फाँस तँ ने बिछाओल छैक। थोडेक काल एहि गाछसँ ओहि गाछ चकभाउर दैत रहलहुँ। देखलियै जे कौओ सभ निधोख भए एक-एकटा झोडी उठाए रहल अछि, तखनि हमरहु कने हिम्मत बढल। मुदा फेर सोचलहुँ जे पहिने एहि हवा मिठाइक सम्बन्धमे सभटा भजिया ली। सन्देह भेल जे एत' ई फेकल किए गेलै? कहूँ जहर-माहुर तँ ने मिझहर भए गेलै? संयोग भेल जे एकटा कौआ ओहि हवामिठाइक झोडी लूझि कए ओही गाछ पर बैसल जाहि पर हम रही। हम ओकरा सँ पुछलियै तँ ओ कहए लागल-
तों दूर देससँ आएल बुझाइत छह तेँ किछु नै बुझल छह। आइ एक माससँ सौंसे नगरमे घरे-घरे ताकि कए ई फेकल जाए रहलै-ए।
-किए फेकल जाए रहलै-ए?” -हम पुछलियै।
-किछु नै बुझल छह? तखनि सुनह चुपचाप। करीब एक मास भेल हेतै। रजकुमरीके मोन खराप भए गेलैक। एकटा वैद अएलै। ओकर दवाइ गुन नै कएलकै। दोसर अएलै। तेसर अएलै। एहिना वैद सभक धरड़ोहि लागि गेलै, मुदा रजकुमरी निकें नै भेलै। तखनि बहुत दूरके नगरसँ एकटा वैद अएलै। ओ रजकुमरी के मादे च-तु कए सभटा पुछारि कएलकै। की-की खाइए; कतए-कतए घुमै-ए; कोन-कोन कपड़ा पहिरै-ए से सभटा पुछलकै। सभटा जखनि भँजिया लेलकै, तखनि जे दवाइ देलकै तेँ दुइए दिनमे रजकुमरी टनमना गेलै। ओएह वैद कहलकै जे ई झोड़ीमे बन्न हवामिठाइ खएला सँ भाँति-भाँति के गरू हेतै। ओएह राजाके कहलकै जे सभकें मना कए दियौ जे ओ हवामिठाइ नै खाए। राजा ओइ वैदक करामात देखि नेने रहए, तेँ विश्वास भए गेलै। तहियासँ अइ नगरक लोक केओ ई हवामिठाइ नै खाइए।
- “तखनि तँ हलुआइ सभक लोटिया बुड़ि गेलै!हम कहलियै।
- “नै बुड़लै। राजा एकटा तरकीब निकालि लेलकै। राजा कहलकै जे ओ हलुआइ सभ ई सभटा हवामिठाइ आन-आन नगरमे जाए बेचत। एहि राजाक सासुर एतए सँ दस कोस पूबमे छै। राजा अपन सारकें कहि ओहि नगरमे बनीज करबाए देलकै। ओतए तँ खूब पैकारी जमि गेलैए।
गाछक तरमे बैसल राजा चौकलाह। सोनचिड़ै हिनके नगरक मादे कहि रहल छल। हवामिठाइक पैकारी ठीके हिनकर नगरमे खूब जमि गेल छलनि। राजा आर कान पाथि कए ओहि सोनचिड़ैक गप्प सुनए लगलाह। सोनचिड़ै कहि रहल छल- हे धनि, सएह कहैत छी जे जखनि केओ ओहि हवामिठाइक भोग कएनाइ छोड़ि देलक, तखनि तँ ओकरामे आ अँइठमे कोन अन्तर? निछरल वस्तुके अँइठ नै कहबै तँ की कहबै। तेँ कहै छी जे एहन अँइठ वस्तु लए राजा-रानी सनक अभ्यागतक सत्कार केना करब।
- “तखनि की करी?” चिड़िन पुछलकै।
- “सएह तँ हम अहाँसँ पूछै छी?”
- एहि पर चिड़िन बाजलि जे राजा आ रानी अन्हारमे भोतिया कए एतए आबि गेल छथि, से अहाँ जाउ, हुनका रस्ता देखा दियनु। बड़ गुन मानताह। आ ई एकटा ठहुरी सेहो दए देबनि। ई हम इन्द्रासनक फुलबाड़ी सँ अनने रही। एकर चमत्कार छै जे मुइल लोक, कि सुखाएल हड्डियोमे जँ ई ठहुरी भिड़ा देल जाएत तँ ओ लोक जीबि उठत।
ई सुनैत देरी राजा खुशी सँ नाचि उठलाह। अखनहु चन्द्रमाके उगैमे किछु देरिए छल, मुदा अन्हार कने कम भए गेल रहै। एही समयमे ओ चिड़ै गाछ परसँ उतरल। आबि कए राजारानीकेँ प्रणाम कएलक आ इन्द्रासनक फुलबाड़ीसँ आनल एक बीतक एकटा ठहुरी राजाक हाथमे देलकनि। राजा ओ लए, माथ चढाए, मिरजइमे खोंसलनि। तकर बाद ओ चिड़ै कहलकनि-
- “हे राजा! हे राजा! अहाँ सभकेँ कतए जेबाक अछि? कहू तँ बाट देखाए दी।
राजा ओहि सिमरक गाछक नाम लेलनि तँ ओ चिड़ै आगाँ-आगाँ उड़ल। रानी सेहो मएनाक पात हँकलनि आ सिमरक गाछतर पहुँचि गेलाह।
तावत धरि अष्टमीक चंद्रमा उगि गेलाह। साँसे बाध इजोरिया पसरि गेल। धरतीक फाटल दरारि सेहो देखा पड़ए लागल।
सोनचिड़ैकेँ घुरि जेबा लेल कहि रानीक सँगे राजा खोपडिमे जाए बैसलाह। पछिला रातिसँ खोपडियो बेसी नाम-चाकर रहैक। एतबे नहि, ओहि दिन पुआरक सेजौटक बदलामे गादी आ मसनद सेहो लागल रहैक। रानी कहलथिन- राजाजी! ई कोनो छोट-छिन परेत नै छी। एकर आत्मा बहुत दिन सँ बौआए रहल छै। एकर उद्धार अहाँकेँ करबाक हएत।
राजा पुछल- केना उद्धार होएतैक से कहू।
रानी उत्तर देलनि- मरबाक काल एकर जे ममोला बाँचल छल होएतैक से जँ पूरा भए जाइ, तँ एकर उद्धार भए जाएत।
दुनू गोटे परेतके अएबाक समयक प्रतीक्षा करए लगलाह। परेत आएल। फेर ओ ओहिना उलटा लटकल छल। ओतहि सँ दुनू गोटेके प्रणाम कएलक आ बाजल- हँ, तँ सुनह हओ राजा। काल्हि राति हमरा हँसी लागि गेल रहए। तकर कारण सुनह। तोहर परदादा अपना जिबैत राज हासिल नै कए सकलखुन ओ अपने नेपालेमे जान गमओलनि। हुनकर बेटा बहुत दिन धरि लड़ाइ करैत रहलाह, तखनि जीत भेलनि। ओ पछिमाहा चण्डलबा राजा मारल गेल। ओकर लोक सभ अपन नगर भागल। नवका राजा जखनि गद्‌दी पर बैसलाह तँ एतुका अपन रोजगारकें खूब सह देलनि। गरीब-गुरबा धन्य-धन्य भए गेल। एहन रहथि ओ राजा। मुदा हुनके सन्तान भए तों अप्पन बोली-बानी, भेष-भूषा, चालि-चलनि सभटा बिसरि गेलह! हओ, देखसी पर कतेक दिन चलएबह ई राजपाट!  हओ, पछिमाहा दारू आ दछिनाहा बुलकीवालीक संग रभसैत काल कहाँ कोनो बाधक रखबार मोन पड़ैत छह! काल्हि केना मोन पड़ि गेल रहह, ई कमलाक कछेरक ई सिमरक गाछ, आ ई पाँच पुस्तक समयसँ उनटा लटकल एकटा गोंढि! तेँ हमरा हँसी लागि गेल रहए।
रानीक आँखिसँ दहोबहो नोर बहए लागल। राजा सेहो अपनाकें सम्हारि नै सकलाह; हिचुकए लगलाह-  “हे कमला माइक सपूत, आइ अहाँ हमर आँखि खोलि देलहुँ। हम एतए बन्धनक तरमे सप्पत खाइ छी जे अप्पन बोली-बानी; चालि-चलनि, भेष-भूषा नै छोड़ब; अनकर देखसीपर नै उड़ब। हम सप्पत खाइ छी। मुदा अखनि हमर राजक प्रजाकें बचाउ। प्रजा पानि-पानि कए मरि रहल अछि। अहाँ चलू। अहाँ गोहारि लगाएब तँ कमला माइ घुरबे करतीह। हमरा सन पतितसँ कमला माइ सत्ते रूसि गेल छथि। अहाँक बात ओ नै कटतीह।
एतबा कहि राजा उठलाह आ सोनचिड़ैक देल ठहुरीसँ ओहि परेतक ठठरीके हँसोथि देलनि। थोडबे कालमे सत्ते ओ परेत एकटा कठमस्त जुआनक बानामे उलटा झुलए लागल। राजा सिमरक गाछपर चढ़ि ओकर पयरक बन्धन खोलि देलनि। मनुक्ख बनल ओ परेत राजाक आगाँमे कल जोड़ि ठाढ़ गए गेल। राजा ओकरा भरि पाँजमे धए लेलनि।
तीनू गोटे पयरे महल घुरि अएलाह। पूब दिशा सिनुराए रहल छल। कमला माइक ओ सपूत कर जोड़ि राजा आ रानी केँ कहए लगलनि- हे राजा, हे रानी, जहिया परेत बनि घुमैत रही तँ मोन होअए जे अइ जिनगीसँ उद्धार भए जाइत, मुदा नहि, आब नै। आब हम सभदिन परेते बनि कए रहए चाहै छी। कमला माइक अइ कोरा सँ बेसी सुख कतौ नै भेटत। हम एतहि रहब, परेते बनल रहब। जहिया-जहिया कमला माइ रूसि जएतीह, तहिया-तहिया हुनका बौंसब। हमर बात मानतीह नै ते कि? आ हमरे किए? सभक बात मानतीह। माय कतौ बेटा सभसँ रुसलै-ए। ओहू बतहियाके की बेटा सभक बिना चेन भेटतै! ओ रूसल नै अछि। हे देखू ने, हम बौसे लेल जाइ छी, मुदा हे राजा, हे रानी, सप्पत मोन राखब।
मनुक्ख बनल ओ परेत बताह जकाँ नाचए लागल आ खुनाओल जाइत पोखरि दिस दौड़ल। पोखरिक मोहारपर पहुँचल आ चिकड़ए लागल- घुरि आउ कमला... घुरि आउ कमला...।आ फेर भोकाड़ि पाड़ि कानए लागल। बड़ी काल धरि कनैत रहल आ फेर एक उझुक डाकनि देलक- नै अएबें, तँ आब हमहूँ कहियो ने बजेबौ, कहियो नै!
मोहारपर भीड़ लागि गेल छल। लोक ओकरा निछट्ट बताह बूझि रहल छलै। मुदा थोड़बे कालमे लोक देखलक जे पोखरिक बीचमे नीचासँ पानिक बमकोला छुटलै आ देखिते-देखिते आधा पोखरि पानिसँ भरि गेल। संगहि लोक देखलक जे ओ बतहा दौड़ल-दौडल गेल आ ओहि पानिमे कूदि गेल। ओ ओतहिसँ चिचिआए लागल- घुरि अएलीह कमला! घुरि अएलीह कमला!!
-----


Where was the Mithila and the capital of King Janak

The site of ancient Mithila प्राचीन काल की मिथिला नगरी का स्थल-निर्धारण (जानकी-जन्मभूमि की खोज)  -भवनाथ झा मिथिला क्षेत्र की मिट्टी बहु...